SAHITYAA DHARA ME AAP KA SWAGAT HAI , APAKA YOGDAN SARAHNIY HAI , AAP APNI LEKH - AALEKH BHEJ SAKTE HAI AUR PATHAK GAN KO DE SAKATE HAI 9997313751,9634624383, मोदी नगर,ग़ज़िआबाद , मेरठ रोड उत्तर - प्रदेश E-mail: nishantkumarjha45@gmail.com

बुधवार, 13 जनवरी 2021


 सुच्चा मैथिल मिथिला के जगाउ यौ मैथिल |स

पूर्वा पछवा पवनसँ मिथिला के बचाव यौ मैथिल ||

दुष्टक नजरि नञि लागए मैथिल, मिथिला  माटि मनोहर के |

धरती गगनकेँ पावन राखी, पुष्पित करु सरोवरके||

गीत विकाशक लगनी सोहर गाउ यौ मैथिल |

सुच्चा़.........

कृषियज्ञ के हवनकुण्ड मे मंत्र हो गहुम गीता के |

धानवाण पढि रक्षा करियौ मिथिला परम पुनीता के  ||

माटि हमर बेसी सबसँ उपजाऊ यौ मैथिल ।

लोरीक कें हम नमन करै छी,सलहेसक मर्यादा कें 

चण्डी चननिकें शत् शत् विनती,विनती जीवन सादाकें।

घर घर ज्ञानक वैभव दीप जराउ यौ मैथिल।

सुच्चा मैथिल मिथिला..........

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें