!! कनि सूनु ने प्रेमक गीत !!
अहिंके याद में डूबल
हमर दिन राइत रहैया ।
केहन बेमत भेलै इ मन
कनियो ने बात बुझेया ।।
कनि सूनु ने प्रेमक गीत
बताह भेलै इ हम्मर चित ।
कनि बुझु ने प्रिय सजनी
हृदय जे बात कहैया ।।
अहिंके याद में डूबल
हमर दिन राइत रहैया ।।
करा देलौं ये कुन टोना
पकड़ बैसल छि हम कोना ।
कहु कोना कS बिसरब ये
निहोरा प्रीतक "बटोही" करैया ।।
अहिंके याद में डूबल
हमर दिन राइत रहैया ।।
गीतकार-
निशान्त झा "बटोही"
अहिंके याद में डूबल
हमर दिन राइत रहैया ।
केहन बेमत भेलै इ मन
कनियो ने बात बुझेया ।।
कनि सूनु ने प्रेमक गीत
बताह भेलै इ हम्मर चित ।
कनि बुझु ने प्रिय सजनी
हृदय जे बात कहैया ।।
अहिंके याद में डूबल
हमर दिन राइत रहैया ।।
करा देलौं ये कुन टोना
पकड़ बैसल छि हम कोना ।
कहु कोना कS बिसरब ये
निहोरा प्रीतक "बटोही" करैया ।।
अहिंके याद में डूबल
हमर दिन राइत रहैया ।।
गीतकार-
निशान्त झा "बटोही"